|| हो दीनानाथ ||
सोना सट कुनिया, हो दीनानाथ
हे घूमइछा संसार, हे घूमइछा संसार
सोना सट कुनिया, हो दीनानाथ
हे घूमइछा संसार, हे घूमइछा संसार
आन दिन उगइ छा हो दीनानाथ
आहे भोर भिनसार, आहे भोर भिनसार
आजू के दिनवा हो दीनानाथ
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर
बाट में भेटिए गेल गे अबला
एकटा अन्हरा पुरुष, एकटा अन्हरा पुरुष
अंखिया दियेते गे अबला
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर
बाट में भेटिए गेल गे अबला
एकटा बाझिनिया, एकटा बाझिनिया
बालक दियेते गे अबला
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर
- hindiवामन द्वादशी की पौराणिक कथा
- hindiहोली से पहले आने वाली आमलकी एकादशी क्यों मानी जाती है मोक्षदायिनी? जानें इसका गूढ़ रहस्य।
- hindiश्रीमान नारायण नाम संकीर्तन
- hindiमेरा छोटा सा संसार – भजन
- hindiश्रीमन नारायण नारायण हरी हरी – भजन
- hindiहरी नाम की माला जप ले – भजन
Found a Mistake or Error? Report it Now

